OpinionResearch

अमेरिकामे UAP क घटना नियमित – रयान ग्रेव्स

ओ स्वीकार कएलनि जे एकटा पाइलटकेँ रुपमे ओ कएक बेर UFO देखने छथि

अमेरिकामे एक बेरसँ एलियंस, यूएफओ, आ परग्रहीसँ संबन्धित मामला उठाओल गेल अछि। अई विषयमे आब पूर्व नौसेना पायलट आ अमेरिकन फोर सेफ एयरोस्पेसक कार्यकारी निदेशक रयान ग्रेव्स (Ryan Graves) क बयान बाहर आएल अछि। ओ, हाउस ओवरसाइट कमीटी (House Oversight Committee) के सुनवा काल कहलनि जे अज्ञात विसंगतिपूर्ण या अज्ञात हवाई घटना सब (Unidentified Anomalous Phenomena) दुर्लभ नइँ अछि, बल्कि एहन प्रकारक घटना सभ नियमित भऽ रहल अछि। ओ स्वीकार कएलनि जे एकटा पाइलटकेँ रुपमे ओ कएक बेर UFO देखने छथि। मुदा, अमेरिका एहि सम्बन्धमे बहुत पहिनेसँ चलैत आबि रहल कार्यक्रमकेँ नुका कऽ रखने अछि, यद्यपि, अमेरिकी रक्षा विभाग पेंटागन हुनकर सभटा दावाकेँ अश्विकार कएने छल।

Ad

ओ कहलनि जे, जखन कि ओ हमरा सभक हवाई क्षेत्रमे अछि, तँ ई सब देखब दुर्लभ वा अलग-थलग नइँ अछि। ओ नियमित सैन्य वायुसैनिक आ वाणिज्यिक पायलट छथि। प्रशिक्षित पर्यवेक्षक जिनकर जीवन सही पहचान पर निर्भर करैत छै, प्राय: अइ घटनाकेँ देखैत रहैत छथि। यूएपी (Unidentified Anomalous Phenomenon) वास्तविक आओर शक्तिशाली छै आ राष्ट्रीय सुरक्षाके चुनौती दऽ रहल छै।

ओ बतौलनि जे 2014 मे ओ नेवी फाइटर अटैक स्क्वाड्रन 11 मे F18 पायलट छलथि। रेड रिवर और ओ वर्जीनिया बीचक नेवल एयर स्टेशन ओशियानामे तैनात छलथि। वर्जीनिया बीचके तट सऽ 7210 मील दूर पर वार्निंग एरिया व्हिस्कीमे एकटा प्रशिक्षण मिशनके क्रममे F18 सुपर हॉर्नेट केऽ यूपीए द्वारा विभाजित कएल गेल रहए।

ओहि घटनाक तुरन्त बाद मिशन कमान्डरद्वारा उड़ान समाप्त कएल गेलै आ बेस क्याम्प तर घुरल गेल। ओ कहलनि ‘हमर स्क्वाड्रन एकटा सुरक्षा रिपोर्ट प्रस्तुत कएलक, लेकिन लेकिन घटनाक संख्याके आधिकारिक स्वीकृति नइँ छल, आ देखल गेल घटनाक रिपोर्टके लेल तत्काल कोनो संयन्त्र नइँ छल। बादमे जल्दिए, यूपीए अतेक नजरि आब लागल जे एयर क्रू अपन नियमित उड़ानसँ पहिने ओकरा ब्रीफिंगके हिस्साक रूपमे यूएपीके जोखिम पर चर्चा करए लागल।

कैलाश कुमार ठाकुर

कैलाश कुमार ठाकुर [Kailash Kumar Thakur] जी आइ लभ मिथिला डट कमके प्रधान सम्पादक छथि। म्यूजिक मैथिली एपके संस्थापक सदस्य सेहो छथि। Kailash Kumar Thakur is Chef Editor of ilovemithila.com email - [email protected], +9779827625706

Related Articles