FeaturedNews

जनमत पार्टी ‘मैथिली’ भाषा आ ‘मिथिला’ संस्कृतिपर आक्रमण क’ रहल : किरण साह

हमर पहिरनपर नकारात्मक टिप्पणी करैवाला सब बौद्धिक गरिब छै – सांसद साह

Ad

मिथिलाके नव कनियाँ सन पहिरनमे शपथ लेबऽ पहुँचल छलीह नवनिर्वाचित प्रदेशसभा सदस्य किरण कुमारी साह । ओ अपन मातृभाषा मैथिलीमे शपथ लेने छलीह ।

जनता समाजवादी पार्टीसँ निर्वाचित समानुपातिक प्रदेशसभा सदस्य साहक शपथके समय पहिरने पोशाकपर अखन चर्चा भ’ रहल अछि। पार्टी भित्तर आ बाहर सेहो हुनक पहिरनक विषयपर चर्चा चलि रहल अछि ।

मिथिला संस्कृति आ मैथिली भाषीलोकनि साहक पहिरनपर मिथिलाक नारी (मिथिलानी) ई पहिरन परम्परागत रूपमे प्रयोग करैत आबि रहल अछि प्रतिक्रिया देने छथि। “मिथिला संस्कृतिमे कोनो शुभकार्य कएलापर महिलासभ इहए पहिरनमे सजै छथि” ओ सबके कहब रहल छनि। उक्त विषयकेँ लक’ कतेको दलक नेता कार्यकर्ता, पत्रकारलोकनि पहिरनपर समेत टिप्पणी कएने छथि।

मैथिली साहित्य परिष्द सप्तरीक अध्यक्ष सत्तिश कुमार दत्त प्रदेशसभा सदस्य साहक पहिरनपर कोनो प्रकारक  टिक्का-टिप्पणी करब आवश्यक नइ रहल अछि। “टिप्पणी करबाक ई विषये नइ रहल अछि। मिथिला पहिरन हुनकर मौलिक अधिकार अछि,” ओ कहलनि।

दत्त जेँ व्यक्तिसभक सङ्ग कोनो ‘एजेण्डा’ नइ रहल अछि, ओसभ कहियो भाषा त कहियो पहिरनके विवाद लाबिक’ चर्चामे आब’कए प्रयास क’ रहल छथि। “साहक पहिरनपर नकारात्मक टिप्पणी कर’ वला घरमे कोनो सांस्कृतिक कर्मक अवसरपर महिलालोकनि उहए पहिरन प्रयोग करैत अछि, ओम्हर सेहो ओइसबकेँ नजरि घुरेबाक चाही,” दत्त कहलनि ।

दुल्हिन सन सजिक’आ शपथ लेबाक बात प्रति नकारात्मक टिप्पणी करब उचित नइ रहल बतेलनि प्रदेशसभा सदस्य साह । मिथिलाक बेटी-बहु लगब’वला पहिरनमे शपथ लेबाक विषयकेँ उत्तेजित बनाक’ नकारात्मक रूपमे पसार’ वला काज गलत रहल हुनक तर्क रहल अछि । ककरो बेटी आ बहु भेलाक कारण मिथिला संस्कार संस्कृतिमे ससुर, भैसुरसबकेँ सम्मान कर’ मे पहिरन महिलासब सदियोसँ पहिरैत आबि रहलक कारण शपथ ग्रहणक पहिरन सेहो ओही अनुसारक रहल साह बतेलनि।

“मिथिलाक मौलिकता झलक’ वला मिथिलानी नारी लगब’ वला पहिरनमे शपथ लक’ सम्पूर्ण मिथिलाक नारीक प्रतिनिधित्व कएलौँ। एम्हर टिप्पणीकारसभ राजनीतिक मञ्चकेँ रंगमञ्च बनाबक’ प्रयास क’ रहल अछि,” ओ कहलनि, “ जहिना मैथिली भाषाकेँ मधेशी भाषा कहिक’ आक्रमणक प्रयास कएल जा रहल अछि तहिना हमर पहिरनपर टिप्पणी कर’ वला मिथिला संस्कृतिपर आक्रमणक प्रयास क’ रहल अछि।”

११ पुसमे प्रदेशसभा सचिवालय मधेश प्रदेशद्वारा जारी कएल सूचनामे “राष्ट्रिय पोशाक वा अपन–अपन सांस्कृतिक पहिरन झलकाब’वला पोशाकमे उपस्थितिक लेल सम्पूर्ण माननीय सदस्यसभकेँ अनुरोध अछि” कहिक’ उल्लेख कएल छल।

जनमत पार्टीक किछु व्यक्ति आ ओहने मानसिकता भेल अन्य व्यक्तिसभ अपन पहिरनपर टिप्पणी क’ रहल हुनक आरोप रहल अछि। अपन भाषीक आ सांस्कृति पहिचानकेँ रक्षा कर’ लेल संघीयता आएल उल्लेख करैत ओ नकारात्मक टिप्पणी करैवाला बौद्धिक गरिब भेल कहलनि।

“विश्वमे कतौ अस्तित्व नइ रहल मधेशी भाषाक नाम दक’ मैथिली लगायत अन्य मातृभाषासभपर समेत प्रहार करैवला मिथिलानी नारीक पहिरन नइ सोहाएल। मुदा ओ अपन मातृभाषा मैथिली आ मिथिला संस्कृति पहिरनपर गौरव करै छी, तइँ मिथिला पहिरन आ मैथिली भाषामे शपथ लेलौँ,” साह कहलनि।

न्युज डेस्क

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles

One Comment

  1. माननीय किरण साहजी मिथिला आ मैथिलीक गर्व छथि।हुनक विचार आ व्यवहारके हम उच्च कदर करैत छी।

Leave a Reply