News

राम मन्दिरके भूमि पूजनपर पूनम मिश्रा

“मंगल बाजन बाजय श्रीराम जी के सासुर हे…
आहे भूमि पूजन हेतु मिथिलामे सभ जन आतुर हे…”

Ad

राम मन्दिर भूमि पूजनक अवसरिमे मैथिलीके सुप्रसिद्ध गायिका पूनम मिश्रा लोकगीत गाबिक’ देलथि सगर मिथिलाके अलौकिक हर्षक समाद ।

अयोध्यामे भगवान श्रीरामके मन्दिरक भूमि पूजनक लक’ भारत,नेपालभरिमे खुशी मनाओल जा रहल अछि। इहए खुशीक आनन्द मिथिलाके जनमनमे विशेष तरह पसरल अछि। मिथिलाके मैथिलसभ भगवान रामक पाहुन अर्थात कुटुम कहि बजबैत अछि। अखन हुनक मन्दिरके भूमी पूजन लक’ मिथिलाबासी आओर अधिक गौरवान्वित अछि आ खुशी मना रहल अछि।

इहए सन्दर्भमे लोक गायिका पूनम मिश्रा यूट्यूब ध्यमसँ रामललाक भूमि पूजनपर “मंगल बाजन बाजय श्रीराम जी के सासुर हे, आहे भूमि पूजन हेतु मिथिलामे सभ जन आतुर हे…” गाबिक’ श्रोताके मंत्रमुग्ध क’ देलथि। अखन ई गीत/भिडियो चर्चाक विषय बनल अछि। लोक गायिका पूनम मिश्रा कहलथि कोरोनाके समय एहन अछि कि लोक मन मारिक’ अपन घरपर बैसल छथि मुदा घरहिसँ एहि लेल पूजन क’ रहल छथि। ओ कहलथि जे भगवान राम मर्यादा पुरुषोत्तम छलाह आओर मिथिलाके दमाद सेहो। गौरवान्वित कर’बला बात ई अछि जे कि भगवान मर्यादा पुरुषोत्तम रामके पूजा कएल जाइत अछि मिथिलावासीद्वारा। तँ सङ्गहि श्रीरामके गारि पढ़बाक लेल सेहो अधिकार प्राप्त अछि मिथिलिवासीके। ई सौभाग्य सगर दुनियामे मिथिलावासीके मात्र भेटल छनि।

अपनेसभके मोन पारि दी जे विवाह पञ्चमीके अवसरिपर अयोध्यासँ आब’वला बरातक मिथिलाक धरतीपर आगमनक बाद बरातीके गारि देबाक परम्परा शुरू भ’ जाइत अछि। भगवान श्रीरामक केवल मिथिलामे मात्र गारि देल जाइत छल जे हुनका बहुत सोहाइत छल। हुनक मोन मिथिलाक भूमिपर एतेक ने रमि गेल छल कि ओ बरातीमे समेत करीब सवा महिना मिथिलामे ठहरलाक बादे माता सीताके सङ्ग अयोध्या घुरल छलथि।

view also : सोमबारी विशेषमे हमर पार्बतीकेँ देखलहुँ ? [संस्मरण कथा]  

पूनम मिश्रा कहलथि कि प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी करोड़ों हिन्दु आ मिथिलावासीके सपनाक साकार कएलथि। मिथिलाके लोक ई उपलब्धिसँ स्वयंमे गौरवान्वित महशुस क’ रहल अछि।

view also : थप ३ गोटेके मृत्यु : नेपालमे कुल मृतक संख्या ७३

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles

One Comment

  1. Pingback: Priya Maithil

Leave a Reply