News

कृत्रिम वर्षा करएलासँ दुबई डुबानमे

खाड़ी देशमे भारी बरखाक कारण ओतय जनजीवन अस्त-व्यस्त भऽ गेल अछि। विभिन्न अन्तर्राष्ट्रीय मीडिया रिपोर्टक अनुसार, बाढ़िक कारण ओमान, बहरीन आ संयुक्त अरब अमीरातमे २० सँ बेसी लोकक मृत्यु भऽ चुकल अछि।

Ad

अल जजीराक अनुसार, पछिला २४ घंटामे दुबईमे पछिला किछु दशकमे सबसँ बडका बाढ़िक अनुभव भेल अछि। पछिला वर्षा १९४९ मे भेल छल। अचानक वर्षाक कारण आएल बाढ़िक कारण दुनियाक दोसर सभसँ व्यस्त हवाइ अड्डाक उड़ान प्रभावित भेल अछि। खाड़ी देशमे ई वर्षा आ  क्लाउड सिडिड प्रविधि अखनि सर्वाधिक चर्चाक विषय बनल अछि।

बाढ़िक पानिसँ सड़कसभ जलमग्न होएबाक कारणेँ गाड़ीसभक चलनाइ कठिन अछि। सड़क पर कतेको गाडी पानिमे डूबि गेल छल।

न्युज डेस्क

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles