News

सावधान ! कौटन कैण्डीसँ बढ़ि सकैए क्यान्सर, बिक्रीपर रोक

एखुनका समयमे लगभग हरेक बच्चा कौटन कैण्डी खएबाक लेल लोभाइत छै। मुदा आब अपनके एहि लेल सावधान होए पड़त। कारण ई जे एहिमे स्वास्थ्यके लेल हानिकारक तत्व भेटल अछि।

Ad

भारतमे हालहिमे फूड एण्ड सेफ्टी डिपार्टमेंटद्वारा कएल गेल जाँचमे कौटन कैण्डीमे हानिकारक तत्व पाओल गेल अछि। हरेक गामसँ लऽकऽ शहर धरि, देश-विदेश सब जगह भेटहिबला ई कौटन कैण्डीमे ‘रोडामाइन बी’ जे एकटा सिन्थेटिक ‘डाई’ (रंग) छै, जे कैण्डीके गुलाबी बनएबाक लेल प्रयोग कैल जाइछ। ई रसायन कपड़ा, काग़ज आ छाला उद्योगसबमे बहुत रास प्रयोग कएल जाइछ।

मुदा हालहिमे भारतक तमिलनाडु सरकार एहि कौटन कैण्डीक ब्रिकी एवं उत्पादन पर रोक लगौलक अछि। चेन्नईमे, मरीना एवं बेसेण्ट नगर समुद्री तट पर बेचल जा रहल कैण्डीकेँ जब्त कऽ प्रयोगशालामे परिक्षण कएल गेल जाहिसँ शोधकर्तासबके कौटन कैण्डीमे ‘रोडामाइन बी’ नामक क्यान्सर उत्पन्न करएबला रसायन भेटल। जाहिसँ स्वास्थ्यके गम्भीर नुकसान भऽ सकैछ। सङ्गहि एहिसँ लीवर फेल होएबाक जोखिम सेहो बढ़ि सकैछ। पुंडुचेरी सरकारद्वारा सेहो कौटन कैण्डीके उत्पादन एवं बिक्री पर रोक लगौलक अछि।

‘रोडामाइन बी’ क उपयोग धूप एवं सलाइक काठीकेँ गुलाबी एवं हरीयर रंगके बनएबाक लेल प्रयोग कएल जाइछ। डाक्टरके अनुसार इयह रसायन यदि कैण्डीक माध्यमसँ पेटमे गेला पर कैंसर उत्पन्न करबाक कारण बनि जाइ छै। खाद्य सुरक्षा विभाग लोककेँ गुलाबी, हरीयर एवं बैंगनी रंगक कौटन कैण्डी खएबासँ बचबाक लेल चेतावनी जारी कएलक अछि।

रोडामाइन-बी इक्सपोजरके लक्षण की छै ?

कौटन कैण्डी खएबाक बाद बहुत तरहक एलर्जी भऽ सकैए। जेना, चेहरा, कण्ठ, ठोर, जीब, फुइल सकैछ, उल्टी भऽ सकैछ, देह हौउवाइ लागब एवं देहमे अचानक चक्ता भऽ सकैछ, सांस लेबऽमे दिक्कत भऽ सकैछ, तथा आँखिमे जलन भऽ सकैछ, अचानक बेचैनी बढ़ि सकैए। एहन कोनो तरहक असहज अवस्था भेला पर, सिघ्र डाक्टर लग जएबाक चाही। ‘रोडामाइन बी’के प्रयोग मात्रे कौटन कैण्डीमे नहि अपितु कएटा आन खाद्य पदार्थसब जेना मिठाइ, रंगीन कैण्डी, लाल मिर्चाइ, मिर्चाइके पाउडर, करी पाउडर, सौस आदिमे प्रयोग कएल जाइछ। तेँ सावधान रहबाक आवश्यक अछि।

श्रोत
Source

कैलाश कुमार ठाकुर

कैलाश कुमार ठाकुर [Kailash Kumar Thakur] जी आइ लभ मिथिला डट कमके प्रधान सम्पादक छथि। म्यूजिक मैथिली एपके संस्थापक सदस्य सेहो छथि। Kailash Kumar Thakur is Chef Editor of ilovemithila.com email - [email protected], +9779827625706

Related Articles