Ghazal

रक्तगन्धी हवा आइ सभतरि बहैए : कलानन्द भट्ट

■ गजल : कलानन्द भट्ट

रक्तगन्धी हवा आइ सभतरि बहैए
उषम भेल मौसम, दर्द धरती सहैए

Ad

मनुक्खमे मनुक्खता नइ छै शेष कनियो
आदमखोर पशु उरमे सबहक बसैए

पथकेर पाकड़ि भेल विषहा कुक्कुर-सन
चिड़ियो नइ छाहरिमे चुन-चुन करैए

घृणा-द्वेष आकाश छूबालए आतुर
नरमे फेसन खूनी सङ्घर्ष चलैए

अछि डरे सर्द दिन रातुक बात ने पुछू
उदसल हादसासँ ओ थरथर कँपैए

●●●
गजलकार कलानन्द भट्ट मैथिली गजलक सशक्त हस्ताक्षर छथि।

नारायण मधुशाला

तेज नारायण यादव, सिरहा । न्यूज रिपोर्ट । ilovemithila.com । । कवि। गीतकार

Related Articles